विवाह पंचमी दिनसँ पुनः मिथिला मिरर न्यूज पोर्टल अपने सभक सेवामे

0
2023

मिथिला मिरर, दिल्ली: रामभद्र आ जनकललीक विवाहोत्सवक पवित्र दिन अर्थात विवाह पंचमीसँ मिथिला मिरर वेब पोर्टल एक बेर पुनः अपने सभक सेवामे उपस्थित भऽ रहल अछि। विगत डेढ़ बरखसँ बेर-बेर हैकर्स द्वारा वेबसाइटकेँ नष्ट करबाक कुचक्रक बाद मिथिला मिरर प्रबंधक वेब पोर्टलकेँ किछु दिन बंद रखबाक निर्णय लेने छल, मुदा विवाह पंचमीक दिनसँ साइटकेँ पुनः अपने सभक लेल खोलबाक आधिकारिक निर्णय संपादकीय टीम द्वारा लेल गेल। हालांकि विगत एक सप्ताहमे अपने लोकनिक बीच मिथिला मिरर समाचार पोर्टलक माध्यमसँ किछु समाचारक लिंक भेटल हैत, जकरा परिक्षणक लेल राखल गेल छल। वेबसाइट नव रंग-रूप आ नव तेवरक संग अपने लोकनिक लेल तैयार अछि।
एक बेर पुनः अपने सभ मिथिला सहित देश भरिक महत्वपूर्ण समाचारकेँ मिथिला मिररक माध्यमसँ पढ़ि सकब। आगामी लोकसभा चुनाव 2019केँ देखैत वेबसाइट राजनीतिक खबरिकेँ बेसीसँ बेसी महत्व देत ताकि मिथिला क्षेत्रक बातकेँ प्रतिनिधि धरि पहुंचाओल जा सकय आ राजनीतिक परिदृश्यमे मिथिला सेहो एकटा मुद्दाक बीच बनल रहय । नव शुरूआतमे वेबसाइट खबरिकेँ चयनकेँ प्राथमिकता दैत आओर प्रभावी ढंगसँ आम जनमानसक बात समाज आ सरोकाराक बीच राखत।