मुख्यमंत्री जारी केलनि आठ सालक रिपोर्ट कार्ड

0
947

पटना,दिल्ली,मिथिला मिरर-कमलेश मिश्रः मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सरकारक आठ बरख पुरा भेलाक अवसर पर सरकारक सफलताक रिपोर्ट कार्ड जारी केलनि। मंत्री मंडलक किछु आला नेताक संग नीतीश कुमार सरकारक उपल्बधा गनबैत कहलनि जे सरकार विकासक माध्यम सं बिहारक दशा आ दिशा के बदलि देलक अहि। जेडीयूक कहब अछि कि सरकार आठ बरखक रिपोर्ट कार्ड में हर बुनियादी विषय पर ध्यान देलक अछि।
आठ बरखक कार्यकाल पूरा भेलाक उप्लक्ष में सरकार जनताक सोझां निम्नलिखित कर्यक ब्यौरा देल गेल। पंचायती राज आ नगर निकायक योजनाक तहत 17583 शिक्षकक नियुक्तिक प्रक्रिया। एखन धरि लगभग छह हजार माध्यमिक शिक्षकक नियोजन। बिहार शिक्षा परियोजना पर्षद में 511 प्रोफेशनल कर्मिक नियुक्ति। पथ निमार्ण विभाग में 551 सहायक अभियंताक नियुक्ति। ग्रामीण कार्य विभाग में विकास पदाधिकारीक 517, एनआरएलएम में 1819 आ क्षेत्रिय समन्वयक 466 पदक नियुक्ति। समाज कल्याण विभागक सहायक निदेशक सं भंडारपाल तकक पद पर 210 लोकक नियुक्ति। हर जिलाक लेल अल्पसंख्यक कल्याण पदाधिकारीक चयन।
निबंधन आ उत्पाद विभाग में 130 नियुक्ति, श्रम, नियोजन आ प्रशिक्षण विभाग में 122 नियुक्ति। आपदा प्रबंध विभाग में समादेष्टा, उप समादेष्टा, निरीक्षक आ सिपाहिक पद पर नियुक्ति। विज्ञान एवं प्रौद्योगिकी विभाग में विभिन्न कोटिक 3 सौ सं अधिक नियुक्ति। बिहार स्टेट पावर होल्डिंग कंपनी लिमिटेड में चाइर सौ सं अधिक नियुक्ति। लोक स्वास्थ विभाग में 40 कनीय अभियंताक नियुक्कित। जल संसाधन विभाग में पांच हजार सं बेसी नियुक्ति। पशु एवं मत्स्य आ संसाधन विभाग में राजपत्रित आ भ्रमणशील पशु चिकित्सक पदाधिकारीक नियुक्ति। कृषि विभागक अधिन विभिन्न पद पर 547 नियुक्ति। राजस्व आ भूमि सुधार विभाग में करीब आठ सौ पद पर नियुक्ति। बीआरडीए कार्यालय में 140 प्रोफेशनलक नियुक्ति। बाल संरक्षण इकाई में 135 पद पर नियुक्ति। बाल संरक्षण इकाई में 135 पद नियुक्ति। विभिन्न गृहक लेल 32 परामर्शी आ 44 महिला पर्यवेक्षिकाक नियुक्ति। महादलित विकास मिशन में लेखा पदाधिकारीक पदक नियुक्ति।
मुख्यमंत्री रिपोर्ट कार्ड में स्वास्थ्य के बारे में बतेलनि जे राज्यक जनता के बेहतर स्वास्थ सुबिधा मुहैया कराओल जा रहल अछि। वर्तमान सेवाक संग राज्य में बहुस रास नव सेवाक शुरूआत सेहो भय रहल अछि। जाहि में अहि तरहक विवरण देल गेल अछि। 534 प्रखंड में 24 घंटा चिकित्सा सुबिधा उप्लब्ध कराओल जायत। अहिक लेल प्रत्येक प्रखंड अतिरिक्त प्राथमिक स्वास्थ्य केंद्र खोलल जायत।
नगर विकासक विषय में कहल गेल अछि जे नगर विकासक अधीन नागरिक सुबिधाक क्षेत्र में अनेक कार्यक संपादन भेल आ किछु पर कार्य होईवला अछि। आब इ विभाग मुख्यमंत्रीक अधिन छनि। 28 शहरक मलिन बस्ति में 1500 सं अधिक स्वयं सहायता आ लधु सहायता समूह गठित, लघु बचतक रूप में 70.49 लाख एकत्र। अहिना पेयजल एवं स्वच्छता, भवन निमार्ण, ग्रामिण विकास सहित अन्य-अन्य योजना के देखबैत सरकार अपन पीठ ठोकलक। मुख्यमंत्री एक बेर फेर सं दोहरेलनि जे जेडीयू सरकार बिहारक जनताक संग-संग बिहारक विकास लेल सदैव लडै़त रहत। बिहार के विशेष राज्यक दर्जा दियेनाइ सरकारक एकटा प्रमुख संकल्प अछि।