नीतीश पर शेखर सुमनक तंज, बिहारक विकास लेल विजन नहि

    0
    329

    दिल्ली-मिथिला मिररः जानल-मानल फिल्म अभिनेता आ पटना साहिब सं कांग्रेस कें टिकट पर चुनाव लडि़ चुकल अभिनेता शेखर सुमन बिहारक राजनीति पर अपन प्रतिक्रिया दैत नीतीश सरकार ओ नीतीश कुमारकें कार्यकुशलता पर सवाल उठौलनि अछि। शेखर कहला जे बिहारक विकासक लेल विजन कें आवश्यकता अछि जे वर्तमान बिहार सरकार मे नहि देखना जा रहल अछि। 
    जखन शेखर सुमन सं पुछल गेल जे प्रधानमंत्री मोदीक कार्यकाल पर अहांक की कहब अछि अहि पर शेखर कहला जे प्रधानमंत्री मोदी नीक काज क रहला अछि आ केकरो कार्यकाल कें डेढ़ बरखक समय मे मुल्यांकन नहि कैल जा सकैत अछि। प्रधानमंत्रीक वीजन नीक छन्हि मुदा हुनका इर्द-गिर्दक जे किछु लोक छथि शायद ओ हुनकर वीजन कें लेल बाधक बनि रहल छन्हि।