नवका सरकार मे मिथिलामे सुरक्षा व्यवस्था भगवान भरोसे

    0
    459
    दिल्ली-मिथिला मिररः बिहारमे जखन ओहिठामक जनता जर्नादन महागठबंधकें भारी बहुमत मे जीत दिया कऽ पटना कें सिहांसन पर पठौलनि त संपूर्ण मिथिलावासी अहि बातक लेल गर्वांवित महसूस करैत हेताह जे पटनाक कुर्सीक निर्णय मिथिला सं भेल आ अहि सरकार कें बनेवा मे एक बेर फेर सं मिथिलाक वोट सर्वोपरि रहल मुदा सरकार बनलाक बाद एक कें बाद एक मिथिला क्षेत्रमे जाहि तरहें हत्या, डकैती, अपहरण ओ अन्य-अन्य तरहक अपराध पैर पसारि रहल अछि ओकरा बाद आब अहि पर पटनाक सिंहासन पर बैसल सुशासन बाबूक संग-संग पुलिस प्रशासन कें कने ध्यान पूर्वक अहि बात कें लेवय पड़तनि।
    दरभंगामे भेल दू गोट इंजीनियरक हत्याक बाद सीतामढ़, शिवहर, वैशाली, हाजीपुर इत्यादि-इत्यादि जगह पर एक कें बाद एक घटना अहि बात कें प्रणाम देवाक लेल बहुत अछि कि राज्यमे एक बेर फेस सं अराजक तत्व अपन पैर पसारवाक लेल तैयार भ गेल अछि आ ओहि असामाजिक तत्वक सोंझा बिहारक पुलिस प्रशासन सुस्त देखना जा रहल अछि। निश्चित रूपहिं जौं अहि चीज पर अंकुश नहि लगाओल जाइत त एकर बहुत गंभीर परिणाम अवैबला दिनमे समाज सं सत्ताशीन व्यक्ति लोकनि कें देखय पड़तनि।
    एतबहि नहि पश्चिम बंगालक मालदाक बाद जाहि तरहें मिथिला पूर्णियामे किछु विशेष जातिक द्वारा जाहि तरहक उत्पात मचाओल गेल ओकरा बाद कि कहल जाय। सरेआम पुलिस चैकी कें जरा देल गेल, राह चलैत वाहन कें आगिमे झोकि देल गेल एहनमे कानून व्यवस्थाकें दुहाई देनिहार लालू प्रसाद यादव ओ नीतीश कुमारक संग-संग कांग्रेसी नेता कतय छलाह। पूर्णिया त एक मात्र झलक छल सरेआम दारोगा आ एएसआई कें गोली मारि देल जाइत अछि। डाॅक्टर कें घर जा ओकरा घर पर गोलीबारी शुरू कय देल जाइत अछि मुदा पुलिस प्रशासन ओ सरकार एखनो धरि अहि बात कें मानवाक लेल तैयार नहि अछि जे बिहारमे प्रशासनिक स्तर पर कोनो विफलता देखल जा रहल अछि।
    विगत दू मासमे जाहि तरहें मिथिलाक बहुतायत ओ बिहारक संपूर्ण क्षेत्रमे हत्या, अपहरण, लूट, रंगदारी, ओ अन्य अपराधमे वृद्धि भेल ओहिकें बाद राजनीतिक रूप सं त जंगलराज-2 नेता लोकनि कहय लगलनि मुदा अहि ठाम सरकार कें आगू आबि आब अहि बात कें स्पष्टीकरण दैत आम जनमानस कें अहि बातक भरोस दियाबय पड़तनि जे बिहार सरकार अहि तरहक असमाजिक तत्व सं निपटवाक लेल तैयार अछि आ बिहारमे हालात ठीक छैक। हालांकि इ कहैटा मे बहुत सहज भय सकैत छै मुदा अपराधी सब कें बस मे करब सरकारक लेल सेहो एकटा कठिन चुनौति हैत अहिमे कोनो शक नहि।