धूमधाम सं शुरू भेल शारदीय दुर्गा पूजा

0
936

मैलाम/दिल्ली-राहुल कुमार रायः मां जगतजननी आदि शक्ति दुर्गा आई सं दस दिनक लेल हमरा अहांक घर एलिह। देशक हर कोन-कोन में मां के अराघना आ पूजा सं गुजयमान भय रहल अछि। प्रथम दिन मां के शैलपुत्री स्वरूप के पूजाक संग घर-घर में मैया के गीत, आरती आ मंगलगान सं वातावरण सोहनगर लागि रहल अछि।
चारू दिशा में शंख, मृदंग आ घरिघंटक घ्वनि लोक के आनंद विभोर करवा लेल काफी अछि। घर-घर में सरर, धूमन आ नानन तरहक फूल सं मैया के अराधना करैत भक्तगण अह्लादित भ रहल छथि। साल भरिक इंतजारक बाद मैया एक बेर फेर सं हमरा अहांक आंगन में आबि सब के अपन स्नेहक कोरा में बैसेवाक लेल एलिह।
आऊ सब कियो कल जोरी मैया के पूजा-अर्चना में अपना-आप के दस दिन तल्लीन क ली। मां सं बस एतबे गुहारी करी जे हे मैया संपूर्ण जगत में शांती राखू आ भक्त लोकैन्हि के आशिष दय अपना चरण में सतत अहिना रखने रहू।
दुर्गा पूजाक अहि पावन अवसर पर समस्त मिथिला सह देशवासी के मिथिला मिरर के तरफ सं दुर्गा पूजाक हार्दिक बधाई। जय मैया सिंहवाहिणी !