डीडी बिहार पर एस. एन. झा कें गजबे दुनिया’क सफल प्रसारण शुरू

    0
    428

    दिल्ली,मिथिला मिरर-जुली रानी झाः 16 जुलाई 2015 बृहस्पतिदिन सांझ 6 बजे दूरदर्शन केंद्र पटना, बिहार सं मैथिली हास्य धारावाहिक ‘एस. एन. झा कें गजबे दुनिया’क सफल प्रसारण शुरू भय गेल। पत्रकार ओ पत्रकारिता सं जुड़ल विषय पर खटगर-मिठगर हास-परिहास सं ओतप्रोत इ मैथिली धारावाहिक अपन पहिल अंक सं दर्शकक बीच अतिलोकप्रिय बनि रहल अछि। अहि धारावाहिकक निर्माता, निर्देशक भवेश नंदन झा स्वयं पत्रकार रहल छथि आ एकटा पत्रकार कें लेल पत्रकारिता धर्म ओ आम आदमीक जनसमस्याकें सुलझेवाक जे तौर-तरीका होइत छैक ओहिकें विषय बना अहि धारावाहिक निर्माण कैल गेल अछि।

    एकटा पत्रकारक लेल पैघ-पैघ राजनेता, उद्योगपति, नामीगिरामी हस्तिक संग उठब बैसव आम बात थिक मुदा जखन पत्रकार महोदय अपना घर आवैत छथि त हुनका नून, तेल ओ लकड़ी जोड़वा मे जे परेशानी होइत छन्हि ओहिकें चरितार्थ करैत इ धारावाहिक हास्य व्यंगक संग-संग कर्तव्य निर्वहनक एकटा अमिट छाप सेहो छोड़ैत अछि। अहि धारावाहिकक कहानी किछु एहन छैक ‘पत्रकार एस. एन झा अर्थात सूर्य नारायण झा एकटा अति महत्वाकांझी पत्रकार रहैत छथि जे पत्रकारिता कें पेशा नहि बुझि ओकरा अपन कर्तव्य बुझैत छथि मुदा आम गृहणी जेना सूर्य नारायण झा’क पत्नी ‘चंद्रकला झा’ एकरा पेशा बुझि अहि सं रोजी, रोटी चलेवाक जोगार पत्रकारिता मे सं खोजवाक पूर्ण कोशिश करैत छथि।
    पत्रकार एस. एन. झा सप्ताह भरि लोकक जनसमस्या कें निपटारा क छुट्टीक दिल घर मे आराम करय चाहैत छथि मुदा हर दिन हुनका छुट्टी मे कोनो ने कोनो नव समस्या जन्म लैत अछि आ ओ ओहि समस्याकें फैरछौट करवामे अपन छुट्टी समाप्त कय लैत छैथ। ओहि फैरछौट मे एकटा नव हास्य-व्यंग जन्म लैत अछि जे अहि धारावाहिक कें आओर मनोरंजन सं भैर दैत अछि। कहानी एकटा पत्रकार कें केंद्र विंदू मानी अवश्ये लिखल गेल अछि मुदा जौं एकरा अपने सब देखब त इ हर व्यक्तिक दैनिक कहानी सन बुझना जाइत छैक।
    अहि धारावाहिककें एकटा खास बात इ अछि जे अहिमे जौं कोनो जनसमस्या उत्पन्न होइत छैक त ओकर निराकरण सेहो ओहि अंक अर्थात ऐपिसोड मे कय देल जाइत छैक कारण अगिला अंकमे कोन तरहक समस्या पत्रकार महोदयक सम्मुख औतैन अहि लेल दर्शक रोमांचित होतइ रहैथ। आ नव समस्या सं अवगत हेवाक लेल लालायित सेहो होइत रहैथ। अहि धारावाहिक मे मुख्य भूमिका निभेनिहार मे अभिनेता अनिल मिश्रा आ रौशनी झा छथि। तहिना स्क्रिप्ट विकास झा लिखने छथि त सिनेमेटोग्राफी खालिद अब्बासक छन्हि। संपादन एल. के. शशि क रहला अछि त सहायक निर्देशकक रूपमे अमिताभ भूषण, ओमप्रकाश गुंजन, अविनाश प्रभाकर आ अपर्णा झा छथि। कार्यकारी निर्माताक रूपमे प्रशांत कुमार एवं मुकेश चंदन छथि। निर्माता, निर्देशक भवेश नंदन द्वारा बनाओल गेल अहि धारावाहिकमे अमूल प्रायोजनक रूपे संग अछि।
    मिथिला मिरर परिवार दिस सं सेहो अहि मैथिली धारावाहिककें कोट सह बधाई आ इ धारावाहिक मिथिलावासीक हृदय मे दिन प्रतिदिन एकटा खास पहिचान बनाबय से आशाक संग संपूर्ण टीम कें अहि दुःसहासिक कार्य करवाक लेल साधूवाद सेहो। आ समस्त मिथिलावासी सं आग्रह सेहो जे अपने सब जतय छी ओहिठाम सं अपन टीवी सेटक माध्यम सं अहि सीरियल कें ट्यूनकरी आ धारावाहिक कें पूरा टीम कें अपन स्नेह दैत रही।