कोर्ट सं गवाही दय आबि रहल युवक के सरेआम गोली मारलक अपराधी

    0
    273

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: बिहार के समस्तीपुर जिला मे बेखौफ अपराधी बुधदिन सरेआम एकटा युवक पर जानलेवा हमला कय देलक। जिला के विभूतिपुर थानाक सलखन्नी गाम मे मोटरसाइकिल सवार दू टा अपराधी हत्याक नियत सं एकटा युवक के गोली मारलक। घायल युवकक पहचान गणेश पासवान के रूप मे कायल गेल अछि। घायल युवकक इलाज सदर अस्पताल मे जारी अछि, जतय ओकर स्थिति चिंताजनक बताओल जा रहल अछि।

    घायल युवकक बहिन के अनुसार गणेश 2014 मे रोसड़ा मे भेल एकटा सिपाही गंगेश झा’क हत्या के चश्मदीद छल आ आय ओ रोसड़ा न्यायालय सं गवाही दय क घर लौट रहल छल, तखनहि मोटरसाइकिल पर सवार दू टा हथियारबंद अपराधी ओकरा पर गोली चलेलक।

    घटनाक सूचना पर विभूतिपुर पुलिस मौका पर पहुंच क घायल युवक के इलाजक लेल सदर अस्पताल पहुंचउलक। अहि मामला मे एएसपी बतौलनि जे मामलाक जांच कायल जा रहल अछि आ अपराधी के गिरफ्तारीक लेल छापेमारी कायल जा रहल अछि।