नकली गहना बन्हक राखिकय ठकय वाली महिला गिरफ्तार

    0
    379

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगाक सिंहवाड़ा थाना क्षेत्रक भरवाड़ा बाजारमे सोमदिन एकटा महिलाकें नकली गहना देखा कए ठकबाक आरोपमे गिरफ्तार कएल गेल। पीड़ित भड़वाड़ा निवासी शिवनारायण दास उर्फ़ भदई साह’क भरवाड़ा बाज़ारमे गहना एवं कपड़ाक दोकान अछि, सूत्रक अनुसार करीब दू महीना पहिने 24 जनवरी कए भरवाड़ा बाजारमे एकटा महिला सोनाक दू जोड़ा बाली लए दोकान पर आओल आ गहनाकेँ ओहि दोकान पर बंधक राखि शिवनारायण दासक पुत्र सं 12000 रुपैया लए गेल।

    एतेक दिन बाद आए पुनः उक्त महिला सोनाक तीन जोड़ा बाली एवं एकटा टिका ओहि दोकान पर बंधक रखबाक लेल पहुँचल। परंतु दोकानदारकेँ सक भेल आ गहना जांचल गेल त ओ नकली निकलल। पूछताछमे महिला अपन घर बेगुसरायके पनसहा बतौलक अछि। पुलिस आवेदक भदई साहके आवेदन पर महिलाकें गिरफ्तार कए मामलाक जाँच कए रहल अछि।

    सदर दरभंगाक डीएसपी दिलनवाज अहमद कहलनि जे, अहि सं पहिने सेहो अहि तरहक एकटा गिरोहक पर्दाफाश कय पूरा गैंगकें गिरफ्तार कएल गेल छल। अहि महिलाकें कोनो गैंग सं जुड़ल हेबाक संभावना सं मना नहि कएल जा सकैत अछि।