मुजफ्फरपुरमे सड़क दुर्घटनाकें दौरान बाप-बेटाक मौत

    0
    268

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: दरभंगा-मुजफ्फरपुर एन एच स्थित गरहां चौकक समीप अज्ञात ट्रक मोटरसाइकिल सवार बाप-बेटाकें ठोकर मारि देलक, जाहिमे घटनास्थल पर दुनूक मौत भए गेल। मृतक’क पहचान घोचा तुर्की गामक निवासी मो ताज आ राजूकें रुपमे भेल अछि।

    जानकारी’क अनुसार दुनू बाप-बेटा मुजफ्फरपुरकें रस्ते अप्पन गाम वापस जा रहल छल। ताहि समय विपरीत दिशा सं आबि रहल ट्रक ठोकर मारि देलक। जाहि सं घटनास्थल पर दुनूक मौत भए गेल। मौतके बाद लोक मृतकक परिजनकें फोन कय अहि घटनाक जानकारी देलक। सूचना भेटला पर पुलिस दुर्घटनास्थल पहुंच कए पूछताछ कए रहल।अछि

    घटना सं आक्रोशित स्थानीय लोक सड़क जाम कय देलक। लोक मृतकक  परिजनकें मुआवजा देबाक मांग पर अड़ल छल। अहि सं ओतय वाहनक लंबा कतार लागि गेल। सूचना पर पहुंचल पुलिस आक्रोशित लोककें समझेबामे जुटल छल।