दरभंगा उत्पाद विभाग द्वारा 2 करोड़क शराब नष्ट कएल गेल

    0
    290

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगा उत्पाद विभाग बृहस्पति दिन प्रबंधक निर्देशक बीएसबीसीआई पटनाकें निर्देश पर भारी मात्रामे शराबकेँ नष्ट कए देलक अछि। बिहारमे शराबबंदीके बाद लायसेंसी दोकानदार द्वारा वापस कएल गेल शराबकें नष्ट करबाक निर्देश देने छल, जाहिकेँ बाद दरभंगा उत्पाद अधीक्षक दरभंगा डिपो पर सुरक्षाक बीच शराब आ बियरकें रोड रोलर चलाकए नष्ट केलक अछि। दरसल बिहारमे शराब बंदीकें बाद जतेक लाइसेंसी शराबक दोकानदार छल, सबके निर्देशित कएल गेल छल जे, जतेक शराबक बोतल बचल हो ओ तय सीमाक भीतर डिपो पर जमा कएल जाए।

    डिपो पर शराबकें नष्ट करा रहल दरभंगा उत्पाद विभागक अधीक्षक गणेश प्रसाद कहलनि जे, बंदीक बाद 2561 शराबक कार्टून तथा 370 कार्टून बियर वापस भेलछल, जकर सरकारी मूल्य 74 लाख 44 हजार रुपैया छल। यदि अहिमे कर जोड़ल जाए त जतेक शराब नष्ट कएल गेल ओकर कीमत लगभग 2 करोड़ रुपैया अछि।