स्कूल मे भेल बच्चाक मौत के बाद स्कूल संचालक पर लटकल गिरफ्तारीक तलवार

    0
    270

    पूर्णिया, मिथिला मिरर: पूर्णियाक बहुचर्चित माउन्ट जॉन स्कूलक संचालक पर गिरफ्तारीक तलवार लटकि रहल अछि। जाहि लेल पुलिस न्यायालय सं वारंट सेहो हासिल कय लेने अछि। संचालक के गिरफ्तारी के संगहि प्रमंडलीय आयुक्त स्कूल’क मान्यता रद्द करबाक अनुशंसा कयलनि।अहि के लेल ओ शिक्षा विभागक प्रधान सचिव के पत्र सेहो लिखलनि।

    दरअसल 29 जुलाई क माउन्ट जॉन स्कूल मे पहिल कक्षाक छात्रा अदिति उर्फ लीजा’क संदेहास्पद मौत भय गेल छल। बच्चाक परिजन अहि मामला मे स्कूल प्रबंधन के जिम्मेदार ठहरेने छल आ हाट थाना मे प्राथमिकी दर्ज करौने छल। सदर एसडीपीओ राजकुमार साह स्कूल प्रबंधक जान डोनियल स बहुतो बेर संपर्क कय नोटिस देलनि मुदा ओ फरार छथि।