होमगार्ड समेत आठ सालक बच्चा के कुचललक टैंकर

    0
    280

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: समस्तीपुर के मगरदहीघाट पुलक समीप बुधदिन दुपहर मे एकटा अनियंत्रित टैंकर होमगार्ड जवान रामाश्रय महतो तथा हुनक नातिन रूपा कुमारी के कुचलि देलक। जाहि सं मौके पर दुनूक मौत भय गेल। मृतक जवान एएसपी कार्यालय मे चारि दिन पहिने तैनात कायल गेल छल। गार्ड मुफस्स्लि थाना के कोरबद्धा गामक मूल निवासी छल तथा हुनक नातिन रूपा मथुरापुर ओपी के मथुरापुर निवासी पुनीत महतो के पुत्री बताओल जा रहल अछि।

    रामाश्रय अप्पन घर स नातिन के पहुंचाबय साइकिल स मथुरापुर जा रहल छल। हादसा के बाद भागि रहल टैंकर चालक के स्थानीय लोक पकडि कय पुलिसक हवाला कय देलक। घटना के विरोध मे समस्तीपुर-दरभंगा मुख्य पथ के जाम कय देल गेल छल। हालांकि, बाद मे नगर पुलिस के पहुंचला पर जाम समाप्त कायल गेल।