महाराजाधिराज सर कामेश्वर सिंह’क प्रतिमाक अनावरण राज्यपाल रामनाथ कोविंद द्वारा संपन्न

    0
    346

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: महाराजा सर कामेश्वर सिंहकें आदमकद प्रतिमा’क अनावरण आय कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय प्रांगणमे बिहारक राज्यपाल सह कुलाधिपति रामनाथ कोविंद द्वारा कएल गेल। अहि अवसर पर राज्यपाल कहलनि जे, महाराजाधिराज कामेश्वर सिंहके मूर्ति’क अनावरण करैत हम स्वंकें धन्य बूझि रहल।  ओ कहलनि जे, एक दिस जतय देशक अधिकांश राजमहलकें होटल आ अतिथिशालामे परिवर्तित कय देल गेल ओतहि दोसर दिस दरभंगा महाराज अपन राज महलकें विश्वविद्यालयके लेल दान दए देलनि। ई दरभंगा महराजक शिक्षाके प्रति रुझानकें स्पष्ट प्रदर्शित करैत अछि।

    राज्यपाल विश्वविद्यालयमे नव निर्मित परीक्षा भवन तथा इनडोर स्टेडियमकें सेहो उद्घाटन केलनि। अहि अवसर पर संस्कृत विश्वविद्यालयके कुलपति विद्याधर मिश्र राज्पालकें मिथिलाक परंपरानुसार अंगवस्त्र, पाग, मिथिला पेंटिंग तथा मखानक माला सं अभिनन्दन केलनि।

    कार्यक्रममे विधायक संजय सरावगी, मिथिला विश्वविद्यालयके कुलपति प्रो राजकिशोर झा, संस्कृत विश्ववियालयके पूर्व कुलपति देवनारायण झा, दरभंगा प्रमंडलक आयुक्त राजकुमार खंडेलवाल, आईजी उमाशंकर सुधांशु, जिलाधिकारी चंद्रशेखर सिंह, एसएसपी सत्यवीर सिंह सहित अनेक गणमान्य व्यक्ति उपस्थित छलाह।