पटना, मिथिला मिरर: सेनारी हत्याकांड मे पटना उच्च न्यायालय’क फैसला आबि गेल। सेनारी नरसंहार मे जहानाबाद के अदालत मंगलदिन 15 दोषी करार के सजा सुना देलक अछि। अहि बहुचर्चित हत्याकांड के फैसला के लय बिहारक लोक इन्तजार कय रहल छलाह।
ज्ञात हो कि सेनारी हत्याकांड मे 15 गोटे के सजा भेल छल। मंगलदिन सब 15 गोटे के न्यायालय’क फैसला आयल अछि। कोर्ट 10 अभियुक्त के फांसीक सजा देलक अछि तथा 3 दोषी के आजीवन कारावास आ एक-एक लाख=का आर्थिक दंड लगाओल गेल अछि।
ओतहि दू टा दोषी जे, बेल के बाद फरार अछि ओकर सजाक फैसला न्यायालय सुरक्षित रखलक अछि। दूनू फरार दोषी के 18 नवम्बर क सजा सुनाओल जायत।