समस्तीपुर नगर पंचायतक बैसक मे बजट प्रारूप पेश

    0
    380

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: नगर पंचायतक सशक्त समितिक बैसक मुख्य पार्षद रेणु देवीक अध्यक्षता मे संपन्न भेल। जाहि मे वित्तीय वर्ष 2016-17’क बजट के प्रारूप पेश कायल गेल। वित्तीय वर्षक 10’म महीना मे पेश भेल उक्त प्रारूप के प्रकाशित कय आम नागरिक सं आपत्ति आमंत्रित करबाक पश्चात पुन: समितिक बैसक मे रखबाक प्रस्ताव पारित भेल।

    संगहि नगरपालिका अधिनियम के तहत सब कार्यक निष्पादित करबाक संग-संग बोर्डक निर्णय के आधार पर कार्रवाई करबाक नसीहत पदाधिकारी के देलनि। ओतहि संविदा पर तृतीय श्रेणीक कर्मचारी के नियुक्त करबाक तथा सफाई कर्मचारी सुधीर राम के तृतीय श्रेणी मे प्रोन्नत करबाक संबंधित विषय पर निर्णय नहि लेल जा सकल।

    बैसक मे उप मुख्य पार्षद सत्येन्द्र कुमार नायक एवं समितिक सदस्य श्यामबाबू साह तथा रूबी प्रभा के अलावा कार्यपालक पदाधिकारी संजय कुमार सेहो मौजूद छलाह।