मुआवजाक लेल सड़क पर उतरल ग्रामीण

    0
    399

    दरभंगा, मिथिला मिरर: पाथर खसला सं पीड़ित लोक सब दरभंगा-जयनगर राष्ट्रीय राजमार्ग 105के जगह-जगह बांस आ बल्ला लगा जाम कए आवागमन ठप कए देलक। जाहि सं सड़कक दुनू कात वाहनक कतार लागि गेल। पीड़ित सब उक्त मार्गकें उत्क्रमित मध्य विद्यालय ननौरा आ दोमे चौक तथा कदम चौक कोयलास्थानक समीप जाम केलक।

    सूचनाक बाद बीडीओ मो. तौकीर हासमी, प्रभारी अंचल निरीक्षक दिगम्बर प्रसाद सिंह तथा केवटी थानाकें पुअनि फ्रांसीस टोपू आदि पहुंचकए लोककें समझा-बूझाकए कार्रवाईक आश्वासन देलाक बाद जाम हटाओल गेल। प्रदर्शनमे पूर्व जिपस मो. अखलाक, पूर्व उपप्रमुख सुवंश कुमार यादव, उपप्रमुख पति मो. ज्याउल होदा छोटू ,पंसस भोला कुमार, पूर्व मुखिया महादेव राय, रामचंद्र यादव, महेंद्र यादव , मो.तमन्ना आदि शामिल छल।

    लोक सोमदिन साँझ आएल तेज आंधी, वर्षा तथा पाथर सं भेल क्षतिक मुआवजा देबा तथा जख्मीक इलाज नि:शुल्क सरकारी स्तर पर करेबाक मांगक लेल सड़क पर उतरल छल।