मारिपीटक बाद हड़ताल पर गेलाह पीएमसीएच के जूनियर डॉक्टर

    0
    277

    पटना, मिथिला मिरर: पटना के पीएमसीएच मे बुधदिन झड़प के बाद जूनियर डॉक्टर हड़ताल पर चलि गेलाह। देर राति बैसक कय जूनियर डॉक्टर बृहस्पति दिन क सेहो हड़ताल पर रहबाक ऐलान केलनि। हालांकि एकटा गुट स्थिति सामान्य हेबाक बात कहलनि।

    गौरतलब अछि जे, पीएमसीएच प्रशासन बुधदिन इमरजेंसी के पास बैरिकेेडिंग के सख्ती स लागू केलक, ताकि निजी एंबुलेंस तथा मोटरसाइकिल के कारण होबय वला परेशानी स मरीजो के निजात भेटि सकय। अहि पर प्रिंसिपल आ अधीक्षक समेत दोसर अधिकारी नजरि रखने छल।

    अहि बीच आलोक नामक एकटा जूनियर डॉक्टर मोटरसाइकिल सं पहुँच गेल। गार्ड डॉक्टर के मोटरसाइकिल बैरिकेडिंग के अंदर लय जेबा सं मना केलक, मुदा ओ डॉक्टर अंदर चलि गेल। डॉ आलोक एप्रॉन पहिरने छलाह आ हुनका लग आईडी सेहो नहि छल आ ने मोटरसाइकिल पर डॉक्टरक चिंह्र छल ताहि दुआरे प्रिंसिपल स्वं आलोक के रोकलानि।

    प्रिंसिपल आ छात्रक बीच मारिपीटक घटना बुधदिन भोर मे करीब 11 बजे भेल। अचानक डॉक्टर के हड़ताल पर जेबा सं ओतय भर्ती मरीज बेहाल अछि। अहि बीच दूनू पक्षक दिस सं पीरबहोर थाना मे प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल अछि।

    पटना पुलिस के अनुसार प्राचार्य जूनियर डॉक्टर पर मारिपीट आ सरकारी काज मे बाधा पहुंचेबाक केस दर्ज करेलक अछि, ओतहि जूनियर डॉक्टर प्राचार्य पर मारिपीट करबाक आरोप लगेलक अछि।