प्रधानमंत्री सं भेंट कय नीतीश उठौलनि फरक्का बैराजक मुद्दा

    0
    260

    दिल्ली, मिथिला मिरर-शिवेश झा: बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आय प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी सं दिल्ली मे हुनकर सरकारी आवास पर मुलाकात केलनि। मुख्यमंत्री प्रधानमंत्री के बिहार मे बाढ़िक हालात आ राहत कार्यक विषय मे जानकारी देलनि।

    मुलाकात के दौरान नीतीश कुमार बिहार मे फरक्का बैराजक मुद्दा सेहो उठेलनि। ओ कहलनि जे, नदी के अविरलताक लेल सिल्ट मैनेजटंमेट पॉलिसी बनेनाइ बहुत जरूरी अछि। नदी मे लगातार सिल्ट जमा भय रहल अछि, जाहि सं नदी मे छिछलापन आबि रहल अछि संगहि नदी के जलसंग्रहक छमता समाप्त भेल जा रहल अछि।

    नीतीश कहलनि जे, बिहार मे एखन धरि 14 फीसदी कम बारिश भेल, एकरा बावजूद राज्य मे बाढ़िक स्थिति बनल अछि। ओ कहलनि जे, दोसर राज्य मे बारिश के कारण बिहार के बाढ़िक विभिषिका झेलय पड़ि रहल अछि। नेपाल आ झारखंड के बाद आब मध्य प्रदेश मे बारिश के कारण बिहार मे बाढ़िक हालात बनल अछि।

    मुख्यमंत्री नीतीश कुमार प्रधानमंत्री सं भेंट के बाद सामाजिक चिंतक रघुवंश प्रसाद सिंहक लिखित पुस्तक ‘हम भीड़ है’ के विमोचन सेहो करताह। सूत्रक अनुसार नीतीश साँझ मे एनसीपी’क नेता शरद पवार, प्रफूल्ल पटेल आ दोसर नेता सब सं सेहो भेंट करताह।