पितृपक्ष मेला मे तर्पण करबाक लेल आयल दू गोट पिंडदानी’क मौत

    0
    432

    गया, मिथिला मिरर: गया के घाट पर चलि रहल पितृपक्ष मेला के दौरान दू दिन मे श्राद्ध करबाक लेल आयल दू गोट पिंडदानीक मौत भय गेल। बताओल जा रहल अछि जे, शनिदिन ब्राह्मणी घाट होईत विष्णुपद स्थित देवघाट पर कर्मकांडक लेल जा रहल सीतामढ़ी के पिपरी गाम निवासी राम लखन मिश्रक ब्राह्मणी घाट के सीढ़ी स पैर पिछड़ि गेलनि। बेहोशीक हालत मे हुनका जेपीएन अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल, जतय सं डॉक्टर हुनका बेहतर इलाजक लेल मगध मेडिकल कॉलेज अस्पताल रेफर कय देलकनि। मगध मेडिकल कॉलेज अस्पताल पहुँचलाक बाद डॉक्टर राम लखन मिश्र के मृत घोषित कय देलकनि।

    उम्हर, रविदिन सीताकुंड पर श्राद्धक दौरान यूपी के गाजीपुर निवासी किशुन सिंहक मौत भय गेलनि। बताओल जा रहल अछि जे, पिंडदानीक मौत हार्ट अटैक स भेलनि। संगहि श्राद्धस्थल पर बंगालक रहय बाली एकटा महिला के सेहो बेहोश हेबाक घटना प्रकाश मे आयल अछि।