पीकप वैन के टक्कर मे दू गोट मोटरसाइकिल सवार गंभीर

    0
    371

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगा-केवटी-जयनगर राष्ट्रीय राजमार्ग 105 के घेपुरा गामक समीप शनिदिन पीकप वैन के धक्का सं मोटरसाइकिल सवार दू गोट युवक गंभीर रुपे घायल भय गेल अछि। युवकक पहिचान वनबाड़ी गामक संजय सहनी ( 30) तथा हरि सहनी ( 28 ) के रूप मे कायल गेल अछि।

    दूनू घायल के ग्रामीण इलाजक लेल सामुदायिक चिकित्सा केंद्र रनवें-केवटी में भर्ती करौलक, जतय प्राथमिक उपचारक बाद दूनू के डीएमसीएच रेफर कय देल गेल। बताओल जा रहल अछि जे, संजय आ हरि दोनों मोटरसाइकिल सं औसीं दिस जा रहल छल।