मिथिल मिरर, पटनाः पटना मे प्रदूषणक स्थिति एते भयावह भʼ गेल अछि जे पटना आब दिल्ली सँ बेसी दूषित हवा मे साँस लेबाक लेल मजबूर अछि। बुधदिन भोरे 7 बजे LIVE AQI सेंटरक रिपोर्ट अनुसार पटना केर AQI 335 दर्ज भेल, जे ‘बहुत खराब’ श्रेणी मे आबैत अछि। ई स्तर स्वास्थ्य लेल गंभीर खतरा मानल जाइत अछि। राजधानी केर हवा मे PM2.5 आ PM10 कणक मात्रा सामान्य सीमा सँ बहुत बेसी रहबाक कारण लोकसभ मे आँख-नाक मे जलन, साँस लए मे परेशानी आ खाँसी जकाँ लक्षण तेजी सँ बढ़ि रहल अछि।
केवल पटना नहि, बिहारक कम सँ कम दस शहर मे आजुक दिन हवा ‘खराब’ सँ ‘बहुत खराब’ श्रेणी मे दर्ज भेल अछि। धीमी हवा, बढ़ैत ठंड, एहि समय तापमान मे गिरावट आ कोहरा केर कारण प्रदूषक तत्व जमीनक नजदीक जमि जाइत अछि, जे स्थिति केँ आओर खराब बनेने अछि। मौसम विभाग सेहो जनौने अछि जे पछुआ हवा आ तापमानक तेजी सँ खसैत असर आब बिहारक अधिकांश जिलामे देखल जा रहल अछि, आ एकर सीधा प्रभाव हवाक गुणवत्ता पर पड़ि रहल अछि।
विशेषज्ञक अनुसार ।फप् 300 सँ उपर पहुँचतहि प्रदूषित हवा सभ वर्गक लेल हानिकारक बनि जाइत अछि, मुदा खास क’ बच्चा, बुजुर्ग आ अस्थमा, हृदय वा फेफड़ा संबंधी रोगी केँ विशेष सतर्क रहबाक जरूरत अछि। चिकित्सक लोकनि सलाह दैत छथि जे एहि समय बाहर कम निकलू, यदि आवश्यक हो तँ छ95 मास्क अवश्य लगाउ, घरक खिड़की-केबार बंद राखू आ हवा शुद्ध करबाक उपाय अपनाउ।
राजधानी पटना आ बिहारक अनेक शहर मे लगातार बढ़ैत प्रदूषणक स्तर चिंताक विषय बनि गेल अछि। सरकार आ स्थानीय निकायक तरफ सँ प्रदूषण नियंत्रणक प्रयास होइत रहलाक बावजूद घरेलू कचड़ा दहन, वाहनक धुआँ, निर्माण कार्य आ मौसमीय प्रभाव मिलि क’ हवा केँ बहुत बेसी दूषित बना देने अछि। आब जरूरी अछि जे प्रशासनक संग-साथ आम लोक सेहो सतर्कता बरतए आ प्रदूषण घटेबाक प्रयास मे योगदान दिए।





