मध्याह्न भोजनक लेल मधुबनी मे बच्चा सब केलक बवाल

    0
    280

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मध्याह्न भोजन नहि भेटला सं नाराज छात्र-छात्रा झंझारपुर प्रखण्डक पिपरौलिया पंचायत स्थित उत्क्रमित मध्य विद्यालय विस्टौल मे ने सिर्फ जमिकय बवाल केलक बल्कि अरड़िया-तमुरिया पथ के विद्यालय के समक्ष करीब डेढ़ घंटा धरि जाम कय देलक। सूचना पर पहुंचल पूर्व प्रमुख सह नवानीक पंसस अनुप कश्यप एवं सीआसीसी राधेश्याम महतोक समझेलाक बाद जाम हटेलनि।

    अहि दौरान बच्चा सब कीड़ाक दवाई एलबेनडाजोल लेबा सं मना कय देने छल। घटनाक बाबत बच्चा सब बतौलक जे, बेसीकाल अहि विद्यालय मे मध्याह्न भोजनक लेल भोजन बनाओल जाइत अछि, मुदा जतेक बच्चा उपस्थित रहैत अछि भोजन ओहि सं बहुत कम बनैत अछि। किछु बच्चा के भोजन करेबाक बाद भोजन समाप्तिक घोषणा कय देल जाइत अछि। जाहि सं अधिकांश बच्चा बिना भोजनक रहि जाइत अछि।

    बच्चाक हंगामाक बीच मे प्रधानाध्यापक रामजीवन राम पहुंचल छलाह। ओ चुनावी प्रशिक्षण मे मधुबनी गेल रहथि। जानकारी के बाद 12.30 बजे प्रधानाध्यापक मध्याह्न भोजनक व्यवस्था कय मधुबनी गेलाह आ प्रभार शिक्षिका कुमकुम कुमारी के देलनि।