समस्तीपुर के हरा मुंगेर बनल अन्तर राज्य महिला फुटबॉल प्रतियोगिता’क विजेता

    0
    318

    मधुबनी, मिथिला मिरर: खजौली मे एमएससीसी ठेंगहा के तत्वावधान मे ठेंगहा खेल मैदान पर आयोजित अन्तर राज्य महिला फुटबॉल प्रतियोगिता के फाइनल मुकाबला मे रविदिन मुंगेरक टीम समस्तीपुर के टीम के 6-1 स शिकस्त दय कप पर कब्जा कय लेलक। समस्तीपुरक शुरूआती एक गोल के जवाब मे खेल समाप्ति तक मुंगेर लगतार छह गोल दागिकय विजेता कप पर कब्जा जामेलक।

    मुंगेर टीमक श्यामा रानी के बेस्ट-22 के, जहन कि समस्तीपुर के मुस्कान कुमारी के बेस्ट-11 के पुरस्कार देल गेल। विजेता टीम के कप्तान श्यामा रानी के पंचायती राज मंत्री कपिलदेव कामतक हाथे कप देल गेल। जहन कि उप विजेता टीमक कप्तान नेहा रानी के जिला परिषद अध्यक्ष शीला मंडल कप देलनि। ओतहि, बेस्ट-22 के खिताब जदयू प्रदेश उपाध्यक्ष संतोष कुशवाहा एवं बेस्ट-11 के खिताब स्थानीय प्रमुख कुमारी उषा के हाथो प्रदान कायल गेल।

    खेल मे शामिल दूनू टीमक सब खिलाड़ी के सांत्वना पुरस्कारक रूप मे चांदीक मेंडल प्रायोजक भाजपा नेता सह स्वर्ण व्यवसायी अमरनाथ प्रसाद द्वारा देल गेल।गया।