मधुबनी सं सीतामढ़ी जा रहल बस सुंदरपुर कुण्ड मे खसल, सब यात्री लापता

    0
    428

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनीक बेनीपट्टी अनुमंडलक शिवनगर गामक समीप सोमदिन एकटा बस अनियंत्रित भय सुंदरपुर कुण्ड मे खसि पड़ल, जाहि मे सवार सब यात्री लापता बताओल जा रहल अछि।

    सूत्रक अनुसार मधुबनी सं सीतामढ़ी जा रहल सागर नामक यात्री बस शिवनगर गामक समीप अनियंत्रित भय गेल, जाहि सं बस कुण्ड मे जा खसल। बताओल जा रहल अछि जे बचाव कार्यक टीम घटना स्थल पर पहुँचि गेल अछि, मुदा एखन धरि कोनो यात्रीक पता नहि लागि सकल अछि।