मधुबनी जेल मे विचाराधीन कैदीक मौत, परिजन केलनि हंगामा

    0
    320

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी जिला मे विचाराधीन कैदीक मौत पर परिवारज जमि कय हंगामा केलनि। बीस घंटा सं लहास के लय परिजन अस्पताल मे हंगामा कय रहल छथि। मामला राजनगर थाना क्षेत्रक मधुबनी काराक अछि।

    जेल मे बंद विचाराधीन कैदी महिंदर मंडल, खजौली थाना क्षेत्रक मकिया गामक निवासी किछु समय सं मधुबनी कारा मे बंद छल। रविदिन राति अचानक परिजन के हुनकर मौतक खबरि भेटलनि। जाहि के बाद परिजन अस्पताल पहुँच कय हंगामा करय लगलाह।

    कैदी के माँथ मे चोट हेबाक कारने परिवार आरोप लगेलक अछि जे कैदीक संग मारि पीट कायल गेल आ इलाज मे कोताही बरतल गेल। जाहि कारने कैदीक मौत भय गेल। ओतहि नगर थाना प्रभारी कहलनि जे, कैदी के मिर्गीक बिमारी छल आ अहि रोग के कारने कैदीक मौत भेल अछि।