विद्यालयमे अनियमितता’क खिलाफ लगातार तेसर दिन तालाबंदी

    0
    372

    मधुबनी, मिथिला मिरर: प्रखंड क्षेत्रक हत्थापुर परसा पंचायतकें परसा गाम स्थित राजकीय प्राथमिक विद्यालय मुसहरीमे कथित अनियमितताक खिलाफ ग्रामीण द्वारा कएल गेल तालाबंदी शनिदिन सेहो जारी रहल। ई तालाबंदी लगातार तेसर दिन छल।

    मौका पर अशोक कुमार भंडारी, झरी दास, विश्वनाथ दास, सुधीर राम, गुरुदेव दास सहित अन्य ग्रामीण कहलनि जे, सरकार द्वारा बच्चाकेँ भेटय वला पोशाक आ छात्रवृत्ति’क राशि वितरणमे गड़बड़ी भेल अछि। ओतहि शिक्षक ससमय विद्यालय नहि अबैत छथि। जाहि सं उक्त विद्यालयमे पढ़य वला बच्चा’क भविष्य अंधकारमे जा रहल अछि।

    ग्रामीणकें अनुसार जा धरि उक्त समस्याक निदान नहि होएत ता धरि तालाबंदी जारी रहत। अहि बाबत विद्यालयके प्रधानाध्यापिका प्रभा कुमारी कहलनि जे, आरोप निराधार अछि। ओतहि प्रखंड शिक्षा पदाधिकारी ललन कुमार ठाकुर कहलनि जे, मामलाक संबंधमे जांच कएल जा रहल अछि।