कांटी आ बोचहा विधानसभा पर दावेदारी कयलनि जीतन राम मांझी

0
17

पटना, मिथिला मिरर, स्नेहा झा: बिहार विधानसभा चुनावक घोषणा मे एखन समय अछि चुनाव आयोग एकर तैयारी मे जुटल अछि। मुदा राजनीतिक पार्टी सभ सक्रिय भ’ सीटक समीकरण सधबाक प्रयास आ अहि पर दावेदारी देबा मे लागि गेल अछि। एहि क्रम मे सत्तारुढ़ राष्ट्रीय गठबंधन यानी एनडीए केँ एकटा घटक दल द्वारा मुजफ्फरपुरक कांटी आ बोचहा विधानसभा सीट पर अपन दावा पेश क’ देल गेल। बता दी कि हिन्दुस्तानी आवाम मोर्चा (सेक्युलर) द्वारा मुजफ्फरपुरक स्थापना दिवसक आयोजन कयल गेल। हालहि मे अहि अवसर पर आयोजित समारोह मे हम पार्टीक जिलाअध्यक्ष (संजर आलम) कांटी आ बोंचहा विधानसभा सीट पर पार्टीक दावेदारी पेश कयलनि। एहि सीटक समीकरण केँ स्पष्ट रुपेँ बतौलनि आ कहला बोंचहा आ कांटी विधानसभा क्षेत्र मे मांझी समाजक जनसंख्या पच्चास हजारक लगभग अछि, एहि द्वारे एहि सीट पर हमर सभक दावेदारी बनैत अछि।