दरभंगा मे जलमीनार बनेबाक लेल निगम के नहि भेट रहल अछि जमीन

    0
    400

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: राज्य सरकार के सात निश्चय मे प्रमुख ‘हर घर जल, हर घर नल’ योजना के एतय झटका लागि सकैत अछि। निगम अहि योजना के तहत नगर मे 10 जलमीनार लगेबाक निर्णय केने छल। जाहि के लेल जमीन सेहो चिह्नित कय लेल गेल छल। चूंकि निगम लग जलमीनार लगेबाक लेल अप्पन जमीन नहि छल। ताहि कारने विभिन्न सरकारी विभागक जमीन के चिह्नित कायल गेल छल।

    योजना के अमलीजामा पहिरेबाक लेल जहन निगम संबंधित विभाग सं अनापत्ति प्रमाण-पत्र मंगलक त पेच फसि गेल। सरकारी विभाग निगम के साफ-साफ कहि देलक जे भूमिक लेल अनापत्ति प्रमाण-पत्र देनी हमरा क्षेत्राधिकार मे नहि अछि। नव परिस्थिति मे नगर विकास विभाग सं निगम ने जलमीनार निर्माणक लेल भूमि उपलब्ध करेबाक आग्रह केलक अछि।

    अमृत योजना के तहत अगस्त माह मे बिहार राज्य जल परिषद् निगम के डीपीआर तैयार करबाक आदेश देने छल। निगम 65 करोड़ रुपैयाक प्राक्कलन तैयार कय जल परिषद् के पाठ देलक अछि, संगहि विभिन्न विभाग के खाली पड़ल जमीन के निगम जलमिनार निर्माणक लेल चिह्नित कय लेलक।
    विभाग के अनापत्ति प्रमाण-पत्र के लेल निवेदन पत्र निगम द्वारा भेजल गेल। अधिकांश विभाग एनओसी देनाइ अप्पन अधिकार क्षेत्र सं बाहर बतौलक। ओतहि कतेक विभाग निगम के पत्रक उत्तर नहि देलक।