दरभंगा मे भरद्वितीया समारोहक आयोजन

    0
    307

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: शहर के लक्ष्मीसागर मोहल्ला मे मंगलदिन साँझ मे भ्रातृद्वितीया समारोहक आयोजन कायल गेल। कार्यक्रमक शुभारंभ गंधर्व झा के वेदध्वनि सं कायल गेल। विद्यापति सेवा संस्थान के महासचिव डा0 बैद्यनाथ चौधरी बैजू अप्पन अध्यक्षीय उद्बोधन मे कहलनि जे, कार्यक्रम मे सुधा देवी अप्पन भाई विजयकांत झा के मिथिला के परंपरानुसार विधिवत निमंत्रण देलनि।

    कार्यक्रम मे विशिष्ट अतिथि के रूप मे महापौर गौरी पासवान, जयकुमार झा , नंदकिशोर यादव मंच पर अप्पन-अप्पन विचार व्यक्त केलनि। अहि समारोह मे रंगारंग सांस्कृतिक कार्यक्रम के सेहो आयोजन कायल गेल छल। जाहि मे डा ममता ठाकुर, केदार नाथ कुमर, दीपक कुमार झा, गौरीकांत झा, अशोक कुमार झा सहित बहुतो कलाकार लोकनि अप्पन प्रस्तुति देलनि।

    आकाशवाणी के उद्घोषक तथा आयोजन समिति के सचिव मणिकांत झा संचालन के क्रम मे कहलनि जे अहि तरहक कार्यक्रम के आयोजन सं समाज मे सांस्कृतिक चेतना जागृत होइत अछि। कार्यक्रमक अध्यक्षता जीवकांत मिश्र आगत अतिथि के स्वागत केलनि।