समस्तीपुरमे भूमि विवादक कारने पूर्व प्रमुखकें मौत

    0
    272

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: समस्तीपुरकें बंगराहा पंचायतक पूर्व मुखिया आ वर्तमान पैक्स अध्यक्ष व विद्यापतिनगर प्रखंडकें पूर्व प्रमुख सोनेलाल रायकें हत्या मामलाक जांचकें आरंभिक दौरमे बहुत रास तथ्य उभरि कय प्रकाशमे आएल अछि। हत्यारा जांचक दिशा बदलबाक लेल एकरा आत्महत्याक रूप देबाल फिराकमे अछि। ताहि दुआरे लहासक समीप सल्फॉसक गोली राखल गेल छल ताकि लोक एकरा आत्महत्या मानि सकए। मुदा दर्ज प्राथमिकीमे एकरा पूर्ण रूपे हत्या बताओल गेल अछि।

    ओना पुलिस घटनाक बहुत बिंदु सं जोड़िकय देखि रहल अछि। प्रखंड स्तरक राजनीतिकें माहिर खिलाड़ी मानल जाए वला पूर्व प्रमुख सोनेलाल रायक पैतृक गांव मोहिउद्दीननगर स्थित नवटोल टांड़ा अछि। राजनीतिक कारण सं ओ दशको पूर्व सं निकटवर्ती बंगराहा गाममे घर बना कय एतहि रहैत छलाह।

    एम्हर, तीन-चारि वर्षके दौरान कथित जमीनी विवादमे पारिवारिक झंझटकें झेलि रहल छलाह। ओ अप्पन बेशकीमती जमीन कथित तौर पर अप्पन नजदीकी महिलाकें परिजनक जिमा हस्तांतरित कय देने छलाह।