पांच रुपैयाक लड़ाई मे एकटा युवती’क मौत तथा छह अन्य घायल

    0
    316

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहार के मुजफ्फरपुर जिला अंतर्गत हथौड़ी थाना क्षेत्रक नरमा डीह गाम मे महज पांच रुपैयाक लेल उथल विवाद एहेन भयानक रूप लय लेलक जाहि मे एकटा युवतीक मौत भय गेल।

    दरअसल रविदिन राति मे दिनेश सहनी के बेटा के बीच बच्चा के दू गुट मे 5 रुपैया खातिर मारिपीट शुरू भय गेल। जाहि मे बिच बचाव के दौरान आयल दुनु पक्षक परिजन मे एकटा युवती सीमा कुमारी के माँथ मे चोट लगबा के कारने मौत भय गेल। संगहि दुनु गुटक 6 टा अन्य लोक घायल भय गेलाह।

    एक पक्षक रामबाबू राय, सुरेश राय, चंदन कुमार, परवेज राय जहन कि दोसर पक्षक शैल देवी, अनिता देवी, सिकंदर कुमार के एसकेएमसीएच मे भर्ती करोल गेल अछि। घटना के बाद सं गाम मे तनावक स्थिति बनल अछि। सूत्रक अनुसार दुनु पक्ष द्वारा थाना मे प्राथमिकी के लेल आवेदन देल गेल अछि।