कटिहार अपहरण मामला मे पूर्व सांसदक पुत्र समेत एक गिरफ्तार

    0
    287
    कटिहार, मिथिला मिरर: कटिहारक कुर्सेला थाना क्षेत्र स अगवा व्यवसायीक पुत्रीक अपहरण मामला मे पूर्व राज्य सभा सांसद नरेश यादवक पूत्र समेत एकटा अन्य व्यक्ति के गिरफ्तार कायल गेल। अहि घटनाक मुख्य आरोपी चंदन ठाकुर एखनहु फरार बताओल जा रहल अछि। व्यवसायीक पुत्री के रिहाई फिलहाल नहि भ सकल अछि। सूत्रक अनुसार पुलिस अप्पन छापामारी तेज कय देलक अछि।
    ज्ञात हो कि अपराधी बुधदिन व्यवसायिक पुत्री स्पर्श के स्कूल स घर आबई काल अपहरण कय लेलक।पुलिस कुर्सेला पेट्रोल पंप मालिकक बेटी स्पर्श के एखनहु धरि नहि खोजि सकल। मुदा अपहरण के बाद फिरौती मांगय बला दू टा अपराधी के गिरफ्तार केलक अछि।
    पुलिस एसडीपीओ लालबाबू यादव के अनुसार अहि केस मे पूर्व राज्यसभा सांसद नरेश यादव के पुत्र संतोष यादव आ हुनकर संगी सुनील अपहरणक केलाक बाद बाद व्यवसायी भानू अग्रवाल स 25 करोड़क फिरौती मांगलक।