सुपौलमे कटाव पीड़ित देलक आंदोलनक धमकी

    0
    306

    सुपौल, मिथिला मिरर: कोसी नदीक कटाव पीड़ित आ बाढ़ि पीड़ितकें अनुदान, कृषि इनपुट, गृह क्षतिक संग-संग विस्थापितकें पुनर्वासित करबाक मांगकें लए कोसी नव निर्माण मंचके बैनर तर कटाव पीड़ित समाहरणालय पर धरना दय अप्पन मांगकें बुलंद केलनि। धरनाकें संबोधित करैत वक्ता सब कहलनि जे, कोसी तटबंधक बीच आएल बाढ़ि आ ओहिकें बाद भेल कटाव सं अधिक संख्यामे परिवार त्रासदीक शिकार भेल अछि।

    जिलाकें मरौना प्रखंडक घोघड़िरया पंचायतके खुखनाहामे नदीके कटाव सं मन्ना टोलक आधा सं अधिक भाग नदीमे समा गेल अछि। बावजूद राहतक नाम पर पॉलिथीन सीटके अलावा पीड़ितकें किछु नहि भेटल अछि। गोठ खुखनाहा, लक्ष्मीनियां आदिमे सेहो किछु गोटेकेँ राहत राशि भेटल अछि, मुदा गृह क्षति, फसल क्षति आदिक लेल किछु नहि भेटल।

    सदर प्रखंडके घुरन पंचायतक निर्मली गाम सहित नदीके बीच स्थित बहुतो गाममे कटाव सं ई हाल अछि। कटाव सं विस्थापित लोक पश्चिमी बांध आ अन्य गामक शरण लेने अछि।