दरभंगा सदर प्रमुख पर अभद्रताक लेल प्राथमिकी

    0
    389

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगा सदर प्रखंड के प्रमुख उपेंद्र साहू पर अभद्र व्यवहार करबा के कारने थाना मे प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल अछि। ओतहि, डीएम डॉ चंद्रशेखर सिंह डीडीसी विवेकानंद झा’क अध्यक्षता मे जांच टीम गठित करबाक निर्देश देलनि। ई टीम मामलाक जांच करत तथा जांच मे दोषी पाउल गेला पर उपेंद्र साहू के अयोग्य घोषित करबाक लेल पंचायती राज विभाग के प्रतिवेदन पठाओत। जिला जनसंपर्क पदाधिकारी कन्हैया कुमार बृहस्पति दिन ई जानकारी देलनि।

    ओ कहलनि जे, पूर्व मे सेहो प्रमुख के अभद्र आचरणक खिलाफ 24 अगस्त क सदर थान मे प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल छल। 23 नवंबर क प्रखंड मुख्यालय मे प्रमुख अभद्र आचरण केने छलाह। अहि के खिलाफ प्रखंड के कर्मी थाना मे आवेदन देने छथि। अहि के आधार पर कांड संख्या 453/16 के तहत प्राथमिकी दर्ज कायल गेल अछि।