दरभंगा पुलिसक हाथ लागल कुख्यात डकैत अंगद महतो

    0
    391

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगा पुलिस के एकटा पैघ सफलता हाथ लागल अछि। जिला के लहेरियासराय थाना क्षेत्रक मारवाड़ी कॉलेज के समीप पुलिस दर्जनो डकैतीक घटना के अंजाम दय चुकल कुख्यात अपराधी अंगद महतो के गिरफ्तार केलक अछि।

    अंगद महतो लहेरियासराय के इस्लामपुर मोहल्ला के रहय वला अछि, जकरा पर अदालत स सेहो डकैतीक मामला मे वारंट जारी अछि। दरभंगा के एएसपी दिलनवाज अहमद कहलनि जे, पुलिस काफी दिन सं लगातार अहि आपराधिक गिरफ्तारीक लेल प्रयास कय रहल छल।

    बृहस्पति दिन पुलिस के सूचना भेटल जे अंगद महतो अप्पन पत्नीक परीक्षा दियेबा लेल आयल अछि। पुलिस सूचना के आधार पर छापा मारि कय गिरफ्तार केलक। एसपी के अनुसार अंगद महतो पर दर्जनो डकैतीक मामला दर्ज अछि।