शराबी शिक्षककें खिलाफ छात्र-छात्राक प्रदर्शन

    0
    350

    सुपौल, मिथिला मिरर: सरायगढ़-भपटियाही प्रखंडक प्राथमिक विद्यालय छपकीमे कार्यरत सहायक शिक्षक देवेश कुमार सिंह द्वारा शराबक नशामे धुत भए छात्र-छात्राक संग अभद्र व्यवहार करबाक मामला तूल पकड़ि लेलक अछि। अहि घटनाक लय विद्यालयकेन छात्र-छात्रा तथा अगल-बगलके अभिभावक जमिकय हंगामा केलक तथा विभागीय अधिकारीकें फोन कय संबंधित शिक्षकके खिलाफ कार्रवाई करबाक मांग केलक अछि।

    छात्र छात्रा बुधदिन विरोध जतबैत कहलक जे, सहायक शिक्षक मंगलदिन 1:11 बजेक बाद विद्यालय पहुंचि कय अचानक सबकें गारि पढ़य लागल आ मारिपीट करय लागल। छात्र छात्राकें अनुसार जहन अभिभावक स्कूल पहुंचय लगलाह त शिक्षक भागि गेल।

    अहि घटनाक बाद छात्र-छात्रा सब शिक्षकके खिलाफ कार्यवाहीक मांग पर अड़ल अछि। एम्हर विद्यालय के अगल-बगलके अभिभावक कहलनि जे, शिक्षक देवेश सिंह बहुत पहिने सं शराबक सेवन करैत अछि आ अहिक लेल बहुतो बेर विद्यालयमे परेशानी भेल अछि।