पतंग उड़ेबाक लेल भेल बच्चाक विवाद मे परिजन के बीच मारिपीट, चारि गोटे घायल

    0
    269

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: जिला के कोतवाली चौक ओपी अंतर्गत भटियारिसराय मोहल्ला मे पतंग उड़ेबा मे उत्पन्न विवाद के कारण बच्चाक झगड़ा मे परिजन के बीच मारि पीट भय गेल। जाहि मे एकहि परिवारक चारि गोटे घायल भय गेल।

    पप्पू राम आरोप लगेलक अछि जे, हमर पड़ोसी उपेंद्र राम अप्पन बहिन बिमल देवी आ तीनू बेटा विकास, विवेक आ आकाश के संग हमर परिवारक संग मारि पीट केलक, जाहि मे पप्पू के संग-संग प्रदीप राम, नंदनी कुमारी एवं नूतन कुमारी घायल भय गेल।

    सूत्रक अनुसार सबहक इलाज डीएमसीएच मे कराओल जा रहल अछि। हालांकि दोसर पक्षक लोक द्वारा सेहो बाद मे बारी बारी स डीएमसीएच मे भर्ती हेबाक एवं इलाज करेबाक सूचना भेटल अछि।