मुजफ्फरपुरमे भूमि विवादक लेल सहोदरक हत्या

    0
    255

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: भाईयक अटूट प्रेमकें एकटा भाई शर्मसार कय देलक अछि। जमीनक लेल मानसिक व शारीरिक रूप सं बीमार भाईकें मारिपीट कय मौतके घाट उतारी देलक। ओहिकें बाद लहासकें एसकेएमसीएचमे छोड़ि कए फरार भए गेल।

    घटना कांटी पानापुर पुलिस चौकी अंतर्गत बंगरा चौपान गामक अछि। मृतकक पहिचान स्व. राधामोहन सिंहके 50 वर्षीय पुत्र अशोक सिंहक रूपमे कएल गेल अछि। अहि मामलामे मृतकक पत्नी रिकू देवी पुलिसकें देल गेल बयानमे मृतकके पैघ भाई मिथिलेश सिंह, ओकर पत्नी वीणा देवी, पिंटू कुमार, विजय सिंह, राजमंगल सिंह एवं राजा पर मारिपीट कय हत्या करबाक आरोप लगेलक अछि।

    घटनाक कारण जमीनी विवाद बताओल जा रहल अछि। रिरकू देवीके अनुसार ओ तीन टा बच्ची डॉली कुमारी, ज्योति कुमारी एवं दीपा कुमारी’क मां अछि। ओ बहुत दिन सं दिल्लीके सुल्तानपुरीमे बच्चाक संग रहैत छल। जीवन यापनक लेल रिंकू देवी दोकान चलाबैत छथि।