पुल निर्माणक मांगकें लए 12 दिन सं अनशन जारी

    0
    317

    सहरसा, मिथिला मिरर: बिहारक सहरसा जिलामे पुल निर्माणक लेल एकटा इलाकाक लोक पिछला 12 दिन सं आमरण अनशन पर बैसल अछि। कोशी नदीके डेंगराही घाट पर पुल निर्माणक मांगकें लय आंदोलनरत लोकमे बच्चा, महिला, पुरूष सब शामिल अछि। अनशनकारीक हालत लगातार बिगड़ल जा रहल अछि। बावजूद अहिकें सरकार आ प्रशासन एखन धरि कोनो तरहक पहल नहि केलक अछि।

    ग्रामीण अहि मसलाक लेल सामूहिक उपवास, मानव श्रृंखला, थाली पीट कय आक्रोशक इजहार कय चुकल अछि। ग्रामीणक अनुसार, इलाकाक दू लाख वला आबादीकें उचित स्थान पर पहुंचबाक लेल घंटों नावक इंतजार करय पड़ैत अछि।

    सहरसा जिलाक सलखुआ प्रखंड अंतर्गत फरकिया इलाकामे पुल नहि रहला सं ओतयकें करीब दू लाखक आबादीकें रोज परेशानीक सामना करय पड़ि रहल अछि। आंदोलनकारीक सरकार सं महज पुल निर्माणक मांग अछि, मुदा 12 दिन सं कोनो सरकारी मुलाजिम आन्दोलनकारीकेँ सुधि लेबाक लेल नहि आएल अछि।