वैशाली मे बस आ ऑटोक बीच भीषण दुर्घटना मे 3 व्यक्तिक मौत, आ करीब 7 यात्री घायल

0
156

बिहारक वैशाली जिलाक हाजीपुर-लालगंज मार्ग (सड़क संख्याSH-74) पर मंगलदिन भोरे एकटा भीषण सड़क दुर्घटना भेल। तेज रफ्तार बस आ ऑटोक बीच भेल एहि भयंकर टक्कर मे तीन गोटेक मृत्यु घटनास्थल पर भऽ गेल जखन कि करीब 7 गोट यात्रीक गंभीर रूप सँ घायल होयबाक सूचना भेट रहल अछि। पुलिस आ स्थानीय लोकक मानी तऽ दुर्घटनाक कारण बसक तेज गति सँ चलब मानल जा रहल अछि। प्रत्यक्षदर्शी लोकनिक मानी तऽ बस एतबा तेज गति मे छल जे ओकर सम्हार ओकरा लग नहि रहलैक आ ऑटो केँ अपना चपेट मे लऽ लेलक।
घायल लोकनि केँ तत्काल नजदीकी अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल जतय हुनका लोकनिक इलाज चलि रहल छनि। एहि धटनाक बाद स्थानीय लोक सभ मे नाराजगी स्पष्ट देखना जा रहल छल। लोकसभ प्रशासन सँ सड़क सुरक्षा सुनिश्चित करबाक आ वाहन चालक पर अधिक नियंत्रण लगेबाक मांग करैत अपन विरोध जता रहल छलाह। घटनास्थल पर उपस्थित लोकसभक कथन छल जे दैनिक रूपेँ बस चालक सभ एहने कृत करैत रहैत अछि जाहि सँ सड़क पर चलब आम यात्रीक लेल मुश्किल भेल जा रहल अछि।
एहि भीषण सड़क दुर्घटनाक बाद स्थिति केँ गंभीर होइत देखैत पुलिस-प्रशासन दुर्घटना स्थल पर पहुँच लोकसभ केँ शांत करेबाक लेल तत्पर देखना गेल। पुलिसक मानी तऽ बसक रफ्तार बेसी छल जाहि सँ समय रहैत ऑटो चालक तुरंत ब्रेक नहि गला सकलाह आ एहन भीषण दुर्घटना घटल। एहि घटना सँ बिहार मे सड़क सुरक्षा के स्थिति पर पुनः प्रश्न उठैत अछि आ स्थानीय प्रशासनक लेल ई एकटा पैघ जिम्मेदारी अछि जे एहन तरहक लापरवाह वाहन चालक सभ पर कठोर कार्रवाइ कऽ यात्री सभ केँ सुरक्षित सड़क पर चलबाक माहौल तैयार कयल जाए।