शराबबंदी के समर्थन मे इतिहास रचबाक लेल तैयार ‘बिहार’

    0
    281

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार मे जारी पूर्ण शराबबंदी के समर्थनक लेल विश्व के सब सं पैघ मानव श्रृंखलाक तैयारी पूरा कय लेल गेल अछि। राज्य मे 11 हजार 292 किलोमीटर लंबा मानव श्रृंखलाक लेल लोकक उत्साह देखते बनैत अछि। राजधानी पटना समेत राज्यक सब जिला मे लगभग दू करोड़ लोक भाग लेत, जे एकता विश्व रिकॉर्ड होयत।

    अहि पल के साक्षी बनबाक लेल आ रिकॉर्ड के ध्यान मे रखबाक लेल लिम्का बुक ऑफ रिकॉर्ड के प्रतिनिधि पटना पहुंच गेल छथि। तय कार्यक्रम के तहत शनिदिन दुपहर 12.15 सं एक बजे तक मानव श्रृंखला बनत।

    मानव श्रृंखला के कार्यक्रम मे न्यायालय के हस्तक्षेपक बाद सब आपातकालीन सेवा बहाल रखबाक फैसला लेल गेल अछि। एम्बुलेंस, सरकारी वाहन, सुरक्षा मे लागल कर्मी के वाहन के नहि रोकल जायत। मानव श्रृंखला के पांच गोट सेटेलाइट सं फोटोग्राफी होयत। संगहि हेलीकॉप्टर आ हवाई जहाज सं विडियोग्राफी कायल जायत। सब जिला मे एक-एक ता ड्रोन पठाओल गेल अछि।