पटना, मिथिला मिरर : बिहार चुनावक पहिल चरण लेल वृहस्पतिदिन नामांकन लेल अंतिम दिन अछि। एहन मे हरेक दल अपन-अपन उम्मीदवारक सूचि जारी क’ रहल अछि। एहि क्रम मे कांग्रेस सेहो 21 उम्मीदवारक लिस्ट जारी कएलक अछि। बतादी जे कांग्रेस महागठबंधन केँ प्रमुख घटक दल अछि आ कांग्रेस केँ खाता मे 70 सीट आयल अछि। जाहि मे सँ 21 सीट पर पहिल चरण मे चुनाव होयत आ एहि लेल बुधदिन प्रत्याशी लोकनिक नामक आधिकारिक घोषणा कएल गेल। हालाँकि एहि मे सँ किछु उम्मीदवार नामांकन सेहो क’ चुकल छथि। कांग्रेस द्वारा जारी कएल गेल सूची केँ मुताबिक सिकंदरा सँ सुधीर कुमार उर्फ बंटी चौधरी, बाढ़ सँ सत्येंद्र बहादुर, बिक्रम सँ सिद्धार्थ सौरभ, कहलगांव सँ शुभानंद मुकेश, सुल्तानगंज सँ ललन यादव आ जमालपुर सँ अजय कुमार सिंह आदि केँ टिकटक घोषणा कएल गेल अछि।
कांग्रेस द्वारा जारी कएल गेल सूची-
| कहलगांव | शुभानंद मुकेश |
| सुल्तानगंज | ललन यादव |
| अमरपुर | जितेंद्र सिंह |
| जमालपुर | डॉ. अजय कुमार सिंह |
| लखीसराय | अमरेश कुमार अनीश |
| बरबीघा | गजानंद शाही |
| बाढ़ | सत्येंद्र बहादुर |
| बिक्रम | सिद्धार्थ सौरभ |
| बक्सर | संजय कुमार तिवारी उर्फ मुन्ना तिवारी |
| राजपुर | विश्वनाथ राम |
| चैनपुर | प्रकाश कुमार सिंह |
| चेनारी | मुरारी प्रसाद गौतम |
| करगहर | संतोष मिश्रा |
| कुटुम्बा | राजेश राम |
| औरंगाबाद | आनंद शंकर सिंह |
| गया शहर | अखौड़ी ओंकार नाथ |
| टेकारी | सुमंत कुमार |
| वजीरगंज | शशि शेखर सिंह |
| हिसुआ | नीतू कुमारी |
| वारिसलीगंज | सतीश कुमार सिंह ‘मनटन सिंह’ |
| सिकंदरा | सुधीर कुमार उर्फ़ बंटी चौधरी |
जनतब होयत जे 2015 चुनाव मे कांग्रेस महागठबंधन केँ हिस्सा छल आ 27 सीट पर जीत दर्ज केने छल। हालाँकि ओहि चुनाव मे नीतीश कुमार सेहो महागठबंधनक हिस्सा छलाह। मुदा एहिबेर महागठबंधन तेजस्वीक नेतृत्व मे चुनाव लड़य जा रहल अछि। देखबाक बात ई होयत जे चुनाव मे कतेक सीट पर एहिबेर कांग्रेस जीत दर्ज करैत अछि।





