विश्वक सभसँ अनुभवी मुख्यमंत्री छथि नीतीश, खाता नहि खोलि पाओत विपक्ष : शाहनवाज हुसैन

0
616

पटना, मिथिला मिरर : जेना-जेना बिहार मे चुनावक समय नजदीक आबि रहल अछि, राजनीतिक बयानबाजी बढ़ल जा रहल अछि। पक्ष आ विपक्ष दुनू दिस सँ आरोप-प्रत्यारोपक दौरा शुरू भ’ चुकल अछि। भाजपा सेहो अपन कद्दावर नेता सभके चुनावी दंगल मे उतारि रहल अछि। एही बीच भारतीय जनता पार्टीक राष्ट्रीय प्रवक्ता आ पूर्व केंद्रीय मंत्री शाहनवाज हुसैन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केँ मुरीद होइत कहलाह अछि जे नीतीश कुमार विश्वक सभसँ अनुभवी मुख्यमंत्री छथि। पत्रकार वार्ताक दौरान कहला जे एहिबेरक चुनाव मे राजद केँ खाता तक नहि खुजत। आगामी विधानसभा चुनाव केँ पैछला लोकसभा चुनाव सँ तुलना करैत कहलाह जे जाहि तरहेँ लोकसभा चुनाव मे हारल छल किछु ओहने हाल विधानसभा चुनाव मे होई वला अछि। बिहार मे एकबेर फेर सँ एनडीएक सरकार बनत आ नीतीश कुमारक नेतृत्व मे सरकार चुनाव लड़त।

पटना मे शनिदिन पत्रकार वार्ता केँ संबोधित करैत शाहनवाज हुसैन कहलनि जे बिहार मे 15 वर्ष बनाम 15 वर्ष क अंतर बहुत साफ अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बिहारक सर्वांगीण विकास लेल काज कएलनि अछि। जनता जनार्दन हुनका पर विश्वास करैत अछि। नीतीश सरकार द्वारा लागू कएल गेल योजना केँ गिनवैत कहलाह जे बालिका साईकिल योजना, किसान योजना, छात्र लेल क्रेडिट कार्ड आ शिक्षा लोन, नलजल योजना सन कतेको एहन काज कएलथि जाहि सँ लोकक जीवन पर फर्क पड़ल। विपक्ष पर हमला करैत पूछलनि जे 15 साल केँ हिसाब नीतीश कुमार द’ रहल छथि त’ विपक्ष किएक नहि लालू-राबड़ी राजक हिसाब दैत अछि। फर्क साफ अछि। नीतीश कुमार साफ नियत सँ सभ लेल काज करैत छथि। मुदा विपक्ष किछु विशेष लेल। आवै वला समय मे पता चलि जायत जे जनता किनका पर भरोसा करैत अछि।