सीतामढ़ी’क बगही धाममे देखा रहल भारतीय संस्कृति’क संगम

    0
    316

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: रीगाकें बगही धाममे चलि रहल सीताराम राम जप महायज्ञमे देशक बहुत रास सांस्कृतिक छटा देखा रहल अछि। एतय बिहारक बहुतो जिलाक अलावा दिल्ली, मध्य प्रदेश, उत्तर प्रदेश, उत्तराखंड, झारखंड व पड़ोसी देश नेपालक श्रद्धालु पैघ संख्यामे पहुंच रहल छथि। राम नाम जप करबाक लेल बहुतो राज्यक कीर्तन मंडली पहुंचल अछि।

    भाषा, संस्कृति, खान-पान व रहन-सहनमे भले ही किछु अंतर हो मुदा, भक्ति व श्रद्धाक मामलामे सबहक मूंह पर बस एकटा नाम अछि, ब्रह्मलीन तपस्वी बाबा नारायण दास जीकें। देश-विदेश सं आयल सब श्रद्धालु हुनका मानव मात्रक कल्याणके लेल काज करय वला संत कहि रहल अछि।

    महायज्ञमे शामिल हेबाक लेल, प्रवचन सुनबा व कीर्तन मंडलीमे रामनाम जपक लेल पहुंचल श्रद्धालु सीतामढ़ीकें अलावा मधुबनी, शिवहर, दरभंगा, मुजफ्फरपुर, वैशाली, सारण, सिवान, गोपालगंज, मोतिहारी व बेतिया समेत बहुतो जला सं आबि रहल छथि।

    श्रद्धालु दिल्ली, उत्तर प्रदेश, उत्तराखंड व मध्य प्रदेश समेत अन्य राज्य सं सेहो जुटि रहल छथि। अहिमे पड़ोसी देश नेपाल सं सेहो श्रद्धालु पहुंच रहल अछि। महायज्ञ परिसरमे भारतक संस्कृतिक अदभुत छटा देखा रहल अछि।