विधानसभा’क उप चुनावक बाद तय होएत एमसीडी चुनावक दिशा

    0
    304

    दिल्ली, मिथिला मिरर: दिल्लीकेँ रजौरी गार्डन विधानसभा सीट पर आगामी 9 अप्रैल कए होबय वला उपचुनावक बाद नगर निगम चुनावक दिशा तय हेबाक संभावना जताओल जा रहल अछि। अहि सीट सं यदि एक बेर फेर सं आम आदमी पार्टीक प्रत्यासी जीत हासिल करैत अछि त भाजपा आ कोंग्रेसक लेल निगम चुनावमे दबदबा बनेनाइ मुश्किल भए सकैत अछि।

    यदि आप अहि सीट सं चुनाव जीतैत अछि त ओ फेर सं दिल्लीमे अप्पन जमीन मजबूत कए सकैत अछि। मुदा, यदि भाजपा या कांग्रेस एतय जीत हासिल करैत अछि त निगम चुनावक नतीजा किछु अलग भए सकैत अछि।

    भाजपा बेर-बेर दिल्लीमे आम आदमी पार्टीक जमीन कमजोर हेबाक बात कहि रहल अछि। अहि उपचुनाव सं दिल्ली नगर निगम चुनाव पर बहुत प्रभाव पड़बाक संभावना अछि। अहि चुनाव सं निगम चुनावक दिशा आ दशा तय हेबाक बात कहल जा रहल अछि।