भारी बरसातक बाद आब गया के मोहल्ला मे चट्टान खसबाक डर

    0
    309

    गया, मिथिला मिरर: गया मे लगातार भय रहल बरसात के बाद आब पाथर आ चट्टान खसय लागल अछि। पहाड़ स सटल शहर के शाहमीरतक्या, दुर्गा स्थान आ बंगाली कॉलोनी के कतेको घर पर बुधदिन देर राति पहाड़ स चट्टान ख़सल।

    अहि इलाका के ठीक उपर सेहो पहाड़क चट्टान खसबाक कगार पर अछि। फिलहाल चट्टान खसबक घटना मे कियो हताहत नहि भेल अछि, मुदा घटनाक बाद स्थानीय लोक मे अफरा-तफरी मचल अछि।

    खनन विभाग के मुताबिक यदि पहाड़ के उपरी हिस्सा पर अटकल चट्टान खसला सं भारी जानमालक नुकसान भय सकैत अछि। विभाग के अधिकारी कहलनि जे, यदि एक-दू दिन धरि बरसात होइत रहल त पाथर खसबाक डर लगातार बनल रहत। जिला प्रशासन ऐहतियात के तौर पर ढ़लान पर रहय बला लोक के अलर्ट जारी केलक अछि। संगहि आस-पास के घर के खाली करेबाक लेल पोस्टर सेहो चिपकाओल गेल अछि।