मिथिला स्टूडेंट युनियनकेँ नव कार्यकारणी’क गठन

    0
    463

    दरभंग, मिथिला मिरर: मिथिला स्टूडेंट यूनियनकें कार्यकारणी समितिक बैसकमे पिछला वर्षक समीक्षाक संग-संग वर्ष 2017-18कें नवनिर्वाचित कार्यकारणीक गठन कएल गेल। जाहिमे सर्वसमति सं रौशन मैथिलकें संस्थाक राष्ट्रीय अध्यक्ष बनाओल गेल।

    अहिकें अलावा अविनाश भरद्वाजकें राष्ट्रीय महासचिव, गोपाल चौधरीकेँ राष्ट्रीय कोषाध्यक्ष, सुभाष पासवानकें राष्ट्रीय उपाध्यक्ष तथा नीरज शेखरकें बिहार प्रभारी बनाओल गेल। ज्ञात हो कि मिथिला स्टूडेंट यूनियन हालक दिनमे छात्र एवं क्षेत्रक विकासक लेल तत्परता सं काज कए रहल अछि।