विभिन्न मांग’क लेल समाहरणालय पर डीवाइएफआइ’क आमरण अनशन शुरू

    0
    559

    मधुबनी, मिथिला मिरर: डीवाइएफआइ जिला इकाईकें तत्वावधानमे मधुबनी समाहरणालयकें समक्ष मांगक लेल मंगलदिन सं आमरण अनशन शुरू कएल गेल। अनशनकारीमे डीवाइएफअइकें जिलाध्यक्ष रामकृष्ण यादव व सचिव मंडल सदस्य रामकुमार साह शामिल। अनशनकारीक मांगमे लौकही थाना कांड सं. 194/16कें आरोपी’क गिरफ्तारी सहित अन्य मांग शामिल अछि।

    आमरण अनशन स्थल पर डीवाइएफआइकें राज्य महासचिव शशिभूषण प्रसाद, जिला मंत्री राजेश कुमार मिश्र, संयुक्त मंत्री रामनाथ यादव, उपाध्यक्ष विनोद मंडल, नरेश यादव, मंजू देवी, गंगाराम सिंह, उदितनारायण राम सहित अन्य मौजूद छलाह।