विधानसभामे विपक्षक भारी हंगामा’क बीच बजट पेश

    0
    318

    पटना, मिथिला मिरर: सोमदिन बिहार विधानसभामे बिहारकें बजट पेश कएल गेल। ओतहि अहि सं पहिने विधानसभामे प्रश्नकालकें दौरान विपक्ष अप्पन तेवरक संग पहुँचल। ओ पेपर लीक मामला पर जमिकय हंगामा केलक। विपक्ष पहिने सं पेपर लीक मामलामे मंत्रीक नाम एलाक बातकें लय सरकार पर हमलाक योजना बना चुकल छल, जाहिके लेल नारेबाजी कएल गेल आ हंगामा कएल गेल। विपक्ष लगातार पेपर लीक घोटालाक सीबीआइ जांच’क मांग कय रहल अछि।

    विधानसभा अध्यक्ष विपक्षी नेता सं लगातार शांत हेबाक अपील केलनि। मुदा, विपक्षी सीबीआइ जांच आ नाम आबए वला मंत्रीकेँ हटेबाक मांग करैत रहल। बीजेपी मामलाक जांच सीबीआइ सं करेबाक संग कार्यस्थगनक मांग करैत रहल।

    विपक्षक नेता प्रेम कुमार कहलनि जे, मुख्यमंत्री नीतीश कुमारकें बुझल छन्हि जे, अहि घोटालामे कोन मंत्री शामिल अछि। ओ अहि मुद्दा पर विशेष चर्चा करेबाक मांग केलनि आ अहिक लेल समय तय करबाक बात कहलनि। नेता प्रतिपक्ष कहलनि जे, राज्यमे लगातार घोटाला भए रहल अछि आ सरकार चुप्पी सधने अछि।