दरभंगा पुलिस महानिरीक्षक कार्यालयक समक्ष आत्मदाह करबाक प्रयास

    0
    487

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: शुक्रदिन दरभंगाक पुलिस महानिरीक्षकक कार्यालय के समक्ष मो. मुस्तफा नामक व्यक्ति आत्मदाह करबाक प्रयास केलक। हालांकि पुलिस मौका पर मुस्तफा के गिरफ्तार कय लेलक।

    मामलाक संबंध मे बताओल जा रहल अछि जे, मुस्तफा एक महीना पूर्व थानाध्यक्ष बहादुरपुर, सीओ, डीएसपी आ वरीय पुलिस अधीक्षक के आवेदन दय बतौने छल जे, भू-माफिया के द्वारा बहादुरपुर गाम मे ईमामबारा के हटाकय जवरदस्ती मकान बनाओल जा रहल अछि। मुदा अहि पर कोनो पदाधिकारी घटनास्थल पर जाकय कोनो जानकारी नहि लेलनि।

    अहि के बाद दू दिन पहिने मुस्तफा पुलिस महानिरीक्षक के आवेदन दय कहने छल जे, 10 फरवरी कय ओ अहि मामलाक लेल आत्मदाह करत। मुस्तफा पूरा परिवारक संग एतय मटिया तेल लय कय आयल छल। अहि बातक खबरि लहेरियासराय थानाध्यक्ष डी.के. मंडल के भेटल, जकरा बाद मुस्तफा के गिरफ्तार कायल गेल।

    बाद मे पुलिस मो. मुस्तफा के पीआर बॉन्ड पर छोड़ि देलक। अपर पुलिस अधीक्षक अहि संबंध मे कहलनि जे, वरीय पुलिस अधीक्षकक निर्देश पर अहि मामलाक अनुसंधान करबाक आदेश देल गेल अछि।